बिहार राज्य कर्मचारी चयन आयोग (BSSC) पेपर लीक मामला मे 4 गोटा आर गिरफ्तार

पटना। 10 फरवरी। क्लर्क संवर्ग के लेल 5 फरवरी के आयोजित बिहार राज्य कर्मचारी चयन आयोग (BSSC) परीक्षाक पेपर लीक मामला के तार दूर धरी पसरल होयबाक आशंका जिताओल जे रहल अछि। एहि मामलाक तह तक पहुंचबाक लेल एसआईटी टीम कैल्ह गुरुवार दिन 4 गोटा के गिरफ्तार केलैन्ह। वरिष्ठ पुलिस अधीक्षक मनु महाराज कहला कि गिरफ्तार भेल चारों गोटा निजी स्कूल या कोचिंग संस्थान चलबैत छैथ। ई सभ परीक्षार्थि सभसे 5 से 6 लाख टाका तक वसूलैत छलैथ। 

एहि मामला मे BSSC के सचिव परमेश्वर राम आर हुनकर कार्यालय मे डेटा ऑपरेटर के पद पर कार्यत अविनाश कुमार के पुलिस बुधवार सांझे  गिरफ्तार करि न्यायिक हिरासत मे पटना स्थित बेउर जेल भेज चुकल छैन्ह। मनु महराज कहला कि सचिव के मोबाइल फोन सँ प्राप्त जानकारी केर आधार पर एहि रैकिट के ४ आन लोग के गिरफ्तार कायल गेल अछि।  

उल्लेखनीय अछि कि मुख्यमंत्री नीतीश कुमार बुधवार दिन एहि परीक्षा क' रद्द करबाक घोषणा केना छलैन्ह। 4 चरण मे आयोजित होमै बला एहि परीक्षक दोसर चरणक परीक्षा 5 फरवरी क' आयोजित कायल गेल छल, जाहिक प्रश्न पत्र लीक भेल छल। एहि परीक्षाक पहिल चरण 29 जनवरी क' आयोजित कायल गेल छल। तेसर आर चारिम चरणक परीक्षा क्रमश: 19 फरवरी आर  26 फरवरी क' आयोजित होमै बला छल।

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने