पटना मे सजल किताबक दुनिया, पटना पुस्तक मेला आयसँ शुरू भेल

पटना। 04 फरवरी। गांधी मैदान मे दस दिन धरी चलै बला पुस्तक मेलाक उद्घाटन आय मुख्यमंत्री नीतीश कुमार केलैन्ह। ई पुस्तक मेला 4 फरवरी से शुरू भ' 14 फरवरी धरी चलत। नीतीश कुमार कहला कि आब पुस्तक मेले क' अन्तर्राष्ट्रीय स्वरूप देल जाओत। कुल आठ सौ से बेसी प्रकाशक एहि मेला मे हिस्सा ल' रहल अछि।

एहि मौका पर नीतीश कुमार कहला की ई 32वां पुस्तक मेला अछि आ ऐहिक आयोजन 1985 से निरंतर भ' रहल अछि। सोशन मीडिया के कारण लोग सभक रुचि पुस्तक किनबामे कम अछि मुदा मेलामे बहुत संख्या मे लोग आइब रहल छैथ।


मुख्य मंत्री कहला कि प्रकाश पर्व के दौरान हम सभ जे केलहुँ ओ हमरा सभक धर्म आ कर्तव्य छल। बिहार वासि सभ सेहो प्रकाश पर्व के दौरान सराहनीय अनुशासन देखेलैन्ह। आगामी अप्रैल माह से गांधी जी के याद मे चम्पारण सत्याग्रह समारोह केर शताब्दी समारोह मनाओल जायत। हम्मर उद्देश्य अछि कि गांधी जी के सिद्धान्त सभके घर-घर तक पहुंचाओल जाय। 

नीतीश कुमार शिक्षा केर गुवणत्ता लेल चिन्ता जाहिर करैत कहला कि ई सभक सामुहिक जिम्मेदारी अछि। अहियो बेर बोर्डक परीक्षा मे सख्ती बरतल जायत यदि शिक्षक सेहो गलती करता तेँ तो हुनका सेहो सजा देल जाओत।

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने