बसंत पंचमी के अवसर पर कुश्ती प्रतियोगिताक आयोजन

मधेपुरा। 04 फरवरी।बसंत पंचमी के अवसर पर प्रखंड के चित्ती पंचायतक बाबा सिद्धनाथ मंदिर परिसर मे आयोजित मेला मे कुश्ती प्रतियोगिताक आयोजन कायल गेल। कुश्तीक शुरुआत युवा शक्ति जिला अध्यक्ष विनीत आर्यन व समाजसेवी महेंद्र यादव पहलवान सभसे हाथ मिला कएलन्हि। 

कुश्ती मे महिला एवं पुरुष दुनु पहलवान मौजूद छल। नामी गिरामी पहलवान सभक पहुँचबाक सूचना से भोरेसे कुश्ती प्रतियोगिता देखबाक लेल लोग सभक भीड़ जमा भ' गेल छल। पहलवान सभ सेहो अप्पन नीक दांव पेंच से एक दोसर के चित करैत दर्शक सभके सेहो भरपूर मनोरंजन कएलन्हि। दर्शक सेहो पहलवान सभक हौसला बढेबाक लेल बीच-बीच मे ताली बजा पहलवान सभके  उत्साहित करैत छलैन्ह। ओतहि बनारस से आयल राजेश पहलवान, मधुबनी के विमल यादव, बेगूसराय के छोटू पहलवान, पूर्वी चंपारण अवधेश यादव, कानपुर के रिकी कुमारी, गोरखपुर के ब्यूटी कुमारी आय आन पहलवान सभ अखाड़ा मे खूब दांव-पेंच देखेलैन्ह।

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने