सहरसा-सुपौल मुख्य मार्ग पर रहुआमणि गाम लग ट्रक व ऑटो केर टक्कर मे महिला केर मौत

सहरसा। 04 फरवरी। आय भोर बनगाँव थाना क्षेत्र के सहरसा-सुपौल मुख्य मार्ग पर रहुआमणि गाम लग सहरसा से बनगाँव दिस जे रहल बालू लादल ट्रक व ऑटो मे टक्कर भ' गेल। एहि दुर्घटना मे ऑटो पर सवार एक महिला केर मौत भ' गेलैन्ह, जखन कि छह आन यात्री घायल बताओल जे रहल अछि। 

जानकारी केर मुताबिक़, विपरीत दिशा से आयब रहल दुनु वाहन मे टक्कर भ' गेल छल। एहिमे ऑटो पर सवार मदनपुर गाम निवासी मोमूल खातून केर मौत भ' गेलैन्ह। ओतहि एहि घटना मे छह लोग गंभीर रुप सँ घायल बताओल जे रहल अछि। मृतका अप्पन पुत्री नूरजहां खातून संग  मदनपुर गाम से ऑटो से पूर्णिया इलाज करेबाक लेल जायत छली।

ऑटो पर सवार खोजरी गाम निवासी बबलू राय केर गर्भवती पत्नी पिंकी देवी अप्पन परिजन गीता देवी, कलावती देवी के संग सदर अस्पताल प्रसव करेबाक लेल जायत छली। ऑटो तखन रहुआमणि गाम लग पहुँचल तेँ विपरीत दिशा से आइब रहल  ट्रक से टक्कर भ' गेल। सभ जख्मी क' आनन-फानन मे ग्रामीण द्वारा इलाज लेल सदर अस्पताल लाओल गेल जता मोमूल खातून क' मृत घोषित क' देल गेलैन्ह। बनगाँव थाना के पुलिस घटनास्थल पर पहुंच वाहन क' अप्पन कब्जा मे ल' जांच शुरू केलन्हि। एहि घटना के बाद वाहन चालक फरार बताओल जे रहल अछि।

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने