एक रॉकेट से 104 उपग्रह छोएड़ भारतीय अंतरिक्ष अनुसंधान संगठन (ISRO) रचलनि इतिहास

श्री हरिकोटा। 15 फरवरी। इंडियन स्पेस रिसर्च आर्गेनाईजेशन (ISRO) एक  इतिहास रचलनि अछि। इसरो चेन्नई से करीब 125 किलोमीटर दूर श्री हरिकोटा से एकहि रॉकेट से 104 उपग्रह क' प्रक्षेपित करि विश्व रिकॉर्ड बनेलनि अछि। पहिल बेर कुनु देश एक रॉकेट से 104 उपग्रह क' अंतरिक्ष मे प्रक्षेपित कएलन्हि अछि। 

भारतीय अंतरिक्ष अनुसंधान संगठन (इसरो) कहलनि कि भोर 5:28 बजे पीएसएलवी-सी37/कार्टोसेट-2 श्रृंखला के सेटेलाइट मिशन के प्रक्षेपण के लेल उल्टा गिनती शुरू भ' गेल। एहीसे ठीक पहिने ‘मिशन तैयारी के  समीक्षा समिति आर लांच प्राधिकार बोर्ड’ प्रक्षेपण केर मंजूरी देना छल। 
इसरो द्वारा देल गेल जानकारी मुताबिक़ वैज्ञानिक सभ रॉकेट के प्रोपेलैंट क' भरनाय शुरू क' देलन्हि। अंतरिक्ष एजेंसी के विश्वस्त ध्रुवीय उपग्रह प्रक्षेपण यान (पीएसएलवी-सी 37) अप्पन 39वें मिशन पर अंतरराष्ट्रीय उपभोक्ता सभसे जुडल रिकॉर्ड 104 उपग्रह क' प्रक्षेपित क' देलन्हि अछि।

प्रक्षेपण के बारे मे महत्वपूर्ण बात ई अछि कि ई एखन धरिक सबसे पैघ संख्या मे रॉकेट से उपग्रह क' प्रक्षेपण कायल गेल छल। रूसी अंतरिक्ष एजेंसी द्वारा एक बेर मे 37 उपग्रह के सफल प्रक्षेपण केर तुलना मे भारत एक बेर मे 104 उपग्रह प्रक्षेपित करबा मे सफलता हासिल करि इतिहास रचै बला पहिल देश बैन गेल अछि। 

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने