रोहतास मे 10 हजार डेटोनेटर सहित भारी मात्रा मे विस्फोटक बरामद, एक गिरफ्तार

रोहतास। 28 फरवरी। नक्सल प्रभावित रोहतास जिलाक मुफस्सिल थाना क्षेत्र मे पुलिस 10 हजार डेटोनेटर सहित भारी मात्रा मे विस्फोटक बरामद केलनि। एहि मामला मे एक केर गिरफ्तारी सेहो भेल अछि।

पुलिसक एक अधिकारी कहला कि गुप्त सूचनाक आधार पर पुलिस रविवार देर राति बांसा गाम मे छापामारी करि 10 हजार डेटोनेटर, 38 क्विंटल विस्फोटक (अमोनियम नाइट्रेट), 10 हजार जिलेटिन केर छड़ सहित कैको विस्फोटक सामान बरामद केलनि अछि। 

रोहतास के पुलिस अधीक्षक मानवजीत सिंह ढिल्लो कहला कि एहि सभ सामान के एक ट्रैक्टर ट्रॉली पर राखल जे रहल छल। एहि मामला मे एक गोटा के गिरफ्तार कायल गेल अछि, जिनक पहचान अमरातालाब निवासी परमानंद प्रसाद के रूप मे कायल गेल अछि। पुलिस के आशंका अछि कि सभ विस्फोटक सामिग्री नक्सलि सभके आपूर्ति कायल जेबाक छल। 

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने