आय पेश भेल 1.60 लाख करोड़ टाकाक बिहारक बजट

पटना। 27 फरवरी। बिहार के वित्तीय बजट 2017-18 मे वार्षिक स्कीमक लेल 80 हजार करोड़ से बेसी के राशि मंजूर कायल गेल अछि। ओतहि लोकायुक्त लेल 5 करोड़क राशि मंजूर कायल गेल अछि। आय बिहारक वार्षिक वित्तीय बजट 2017-18 सदन मे वित्त मंत्री अब्दुल बारी सिद्धिकी पेश केलनि। एहि बरखक बिहार के बजट मे फेर सँ एक बेर मुख्यमंत्री नीतीश कुमार के सात निश्चय पर फोकस कायल गेल अछि। वित्त मंत्री अब्दुल बारी सिद्धिकी कहलनि कि बजट मे विकास, गरीबी उन्मूलन, आओर वित्तीय स्थायित्व पर जोर देल गेल अछि। एहि बेरक बिहार बजट 1 लाख 60 हजार 085.69 करोड़ टाकाक अछि। 

एहि बेर फे सँ सात निश्चय पर फोकस कायल गेल अछि। ओतहि शराबबंदी से अपराध मे भेल कमी लेल सेहो बजट मे चर्चा कायल गेल। संगहि महिला सभक लेल सेहो बजट मे विशेष ध्यान देल गेल अछि। महिला सभके 35 प्रतिशत आरक्षण देबाक उल्लेख बजट मे कायल गेल अछि।बजट पेश करैत वित्त मंत्री कहलनि कि बिहार मे सामाजिक न्याय के शराबबंदी लागू कायल गेल अछि। शराबबंदी मे जाहि तरह से लोग सभक  सहभागिता भेटल सराहनीय अछि। 

वित्त मंत्री अब्दुल बारी सिद्धिकी कहलनि कि सरकार के एक बरखक बजट के बाड़े सात निश्चय के सरकारक वादा के पूरा करबाक लेल काज शुरू क' देल गेल अछि। कैको योजना के धरातल पर आनल गेल अछि। राज्य सरकार हथकरघा क्षेत्र के लेल कार्यक्रम शुरु केना अछि। बिहार मे बैंक केर  संख्या सेहो बढाओल जायत। हर 5000 के आबादी बाला गाम मे बैंक खुजत। 


एहि बरखक बजट के मुख्य बिंदु;

  • 1 लाख 60 हजार 085.69 करोड़ टाकाक बजट पेश भेल 
  • नोटबंदी से बिहारक अर्थव्यवस्था पर पड़ल असर 
  • वार्षिक स्कीम लेल 80 हजार करोड़ टाकाक मंजूरी
  • लोकायुक्त लेल 5 करोड़ राशि मंजूर
  • पिछले बरख से 15 हजार करोड़ बेसी के बजट पेश कायल गेल
  • बरख 2017-18 मे राज्य केर राजकोषिय घाटा 18 हजार 112 करोड़ होयबाक अनुमान अछि, जे राज्य के जीडीपी केर 2.87 प्रतिशत अछि 
  • शिक्षा विभाग मे 25 हजार 251.39 बजट के प्रावधान कायल गेल अछि 
  • स्वास्थ्य लेल 7 हजार 1 करोड़क प्रावधान
  • कल्याण लेल 9 हजार 439 करोड़क प्रावधान
  • 1460 करोड़ टाका प्रधानमंत्री ग्राम सड़क योजना के प्रावधान 
  • 410 करोड़ टाका पिछड़ल वर्ग के छात्र सभक छात्रवृति लेल 
  • सड़क लेल 16 हजार 153 टाकाक प्रावधान
  • 240 करोड़ टाका बिहार स्टेट पावर जेनरेशन कंपनी लिमिटेड मे निवेश हेतु प्रावधान
  • 600 करोड़ टाकाक बाढ़ मे क्षतिग्रस्त तटबंध सभक संरचना बराज आओर  पुल सभक मरम्मत लेल

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने