मुख्यमंत्री नीतीश कुमार के 'साख' तक पहुँचल BSSC पेपर लीक कांडक आंच

पटना। 28 फरवरी। बिहार के चर्चित बीएसएससी पेपर लीक मामला मे आयोग केर अध्यक्ष सुधीर कुमार के गिरफ्तारीक बाद आईएएस एसोसिएशन बिहार सरकार के खिलाफ मोर्चा खोईल देलनि अछि। ओतहि, विपक्षक आरोप अछि कि एहि पूरा खेल मे सत्ताधारी दल के विधायक आओर मंत्री सेहो शामिल अछि।

बिहार विधानसभा के अध्यक्ष विजय कुमार चौधरीक पीए बीएसएससी के अध्यक्ष सुधीर कुमार केर पैरवी करबाक लेल 2 एसएमएस भेजना छल। ई एसएमएस पूरा मामला के जांच क' रहल एसआईटी के हाथ लागल अछि।
विधानसभा अध्यक्ष के पीए द्वारा पहिल एसएमएस 9 जनवरी दिन भेजल गेल छल। ओतहि, दोसर एसएमएस 20 जनवरी के भेजल गेल छल।

एसएमएस सामना अएलाक बाद एक बेर फेर सियासत शुरू भ' गेल अछि। बीजेपी नेता सुशील मोदी मांग केलन्हि अछि कि परमेश्वर राम आओर सुधीर कुमार जिनकर - जिनकर नाम बतौलन्हि अछि, ओहिके  सरकार सार्वजनिक करे।

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने