सरस्वती पूजा से पहिने बच्चिया सभ अप्पन माता-पिता केर पूजन केलीह

सहरसा। 02 फरवरी। सत्तरकटैया प्रखंड स्थित पटोरी गामक कन्या मध्य विद्यालय सेवाश्रम मे सरस्वती पूजा केर शुरुआत से पहिने बच्चिया सभ अप्पन माता-पिता केर पूजा केलीह।

ऐहिक पाछा मकसद बच्चिया सभके माता-पिता केर महत्व बुझाएब,  सामाजिक मूल्य आ नैतिकता क' बचेबाक प्रयास करबाक छल। कार्यक्रम आयोजित करनिहार मुक्तेश्वर कहला कि एहेन प्रयास से वर्तमान समय मे माता-पिता आर बच्चा सभक बीच बढ़ैत खाई क' कम कायल जे सकैछ। 

कार्यक्रम केर शुरुआत मे बच्चिया सभ अप्पन माता-पिता के पैर धोलखिन आर विधिवत हुनक पूजा केलखिन। बच्चिया सभ माता-पिता सेहो एहि तरहक कार्यक्रम केर आयोजन से बहुत खुश नज़र आएल। पूजा के बाद सभ अप्पन बच्चिया क' आशीर्वाद देलैन्ह। 

बहरहाल, एहि नवा आ अनौखा अंदाज के पूजन केर चर्चा पूरा इलाके मे भ' रहल अछि।स्कूलक छात्रा आ अभिभावक जते खुद क' गौरवान्वित महसूस क' रहल छैथ, ओतहि शिक्षक सेहो आत्मविभोर भ' रहल छैथ। 

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने