बोलेरो आ जीपक भीषण टक्कर मे 4 केर मौत, 7 घायल


सीवान। 14 फरवरी। सीवान मे  देर राति बोलेरो आ जीपक भीषण टक्कर मे 4 लोगक मौत भ' गेलैन्ह जखनकि 7 लोग घायल बताओल जे रहल अछि। ई दुर्घटना गुठनी थाना क्षेत्र गुठनी-दरौली रोड स्थित सेलौर गाम लग भेल। 

बताओल जे रहल अछि कि गुठनी के पश्चिम टोला से तिलक ल'के लोग सभ रघुनाथपुर थाना क्वनिख्ती कला गाम गेल छला। तिलक चढ़ा बोलेरो से सभकियो वापस गुठनी आबैत छला कि रातिक पौने एक बजे के करीब उत्तर प्रदेश दिस से आयब रहल एक अनियंत्रित जीप बोलेरो से टकरा गेल।  टक्कर एतेक भीषण छल कि जते बोलेरो के आगुक हिस्सा पूरा तरहे पिचक गेल ओतहि जीप के परखच्चा उईड़ गेल। जीप मे सवार 5 लोगक मौके पर मौत भ' गेलैन्ह। ओतहि बोलेरो मे बैसल सात गोटा सेहो गम्भीर रुपे  घायल भ' गेला, जाहिमे 2 गोटाक हालत नाजुक बताओल जे रहल अछि।

घटनाक सूचना भेटते गुठनी आ दरौली थाना पुलिस मौक़ा पर पहुँच राहत आर बचाव के काज मे भीड़ गेल छल। 2 गंभीर रुपे घायल के संग सभ शव क' सीवान सदर अस्पताल भेजल गेल। ओतहि बाँकिक घायल सभके गुठनी पीएचसी मे इलाज चैल रहल अछि। 

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने