जम्मू-कश्मीर के बांदीपुरा मे आतंकी संग मुठभेड़ मे 2 जवान शहीद, 1 आतंकी ढेर



जम्मू। 14 फरवरी। जम्मू - कश्मीर के बांदीपुरा जिला मे आतंकी आ सुरक्षा बलक बीच मुठभेड़ जारी अछि। एहि मुठभेड़ मे सेना के 2 जवान शहीद बताओल जे रहल अछि। प्राप्त जानकारी केर मुताबिक बांदीपुरा के हाजिन सेक्टर मे चैल रहल एहि मुठभेड़ मे दुनु दिस से फायरिंग जारी अछि।

सेना के जवान सभके सूचना भेटल छल कि बांदीपुरा इलाका मे किछ  आतंकी नुकायल अछि। जाहिक बाद सेना सर्च ऑपरेशन शुरू केलैन्ह। एहि दौरान आतंकि सभ जांच पड़ताल क' रहल जवान पर गोलीबारी शुरू क' देलैन्ह। जाहिक बाद सेना के जवान सभ सेहो मोर्चा सम्हारैत जवाबी कार्रवाई शुरू केलैन्ह। आतंकि सभक गोलीबारी मे भारतीय सेना के 2 शहीद भ' गेला। ओतहि सेना सभ एक आतंकी के माइर गिरेलैन्ह। एहि मुठभेड़ मे दुनु दिस से फायरिंग जारी अछि।

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने