मिथिलाक बेटी श्रुति झा जीतलि 'माइलस्टोन मिसेज इंटरनेशनल - 2017' केर खिताब

मधुबनी। 13 फरवरी। मधुबनी जिलाक मंगरउनी गाम निवासी स्वo परमानंद झा केर परपौत्री श्रुति झा बैंकाक के पटाया मे आयोजित "माइलस्टोन मिसेज इंटरनेशनल - 2017" प्रतियोगिता के खिताब जीत मिथिलाक नाम रौशन केलीह।

श्रुति देश - विदेशक प्रतिभागी सभके पाछा छोड़ैत माइलस्टोन मिसेज इंटरनेशनल केर ताज पहिरली। श्रुति एहीसे पहिने "स्टार मिसेज पुणे - 2016" के अलावा "मिसेज महाराष्ट्र इंटेलिजेंट - 2016" केर खिताब सेहो जीत चुकल छली। 

अपने के बता दी माइलस्टोन मिसेज इंटरनेशनल ओहि महिला सभके मौक़ा दैत अछि जे ख़ुदक अंदरूनी खूबशूरती के चिन्हैत बियाहक बादो खूबशूरती आर दिमागक दुनियाँ मे अप्पन नाम दर्ज करबैत छथि। 

बैंकाक के पटाया मे आयोजित "माइलस्टोन मिसेज इंटरनेशनल - 2017" मे अमेरिका, थाईलैंड, भारत समेत कैको देशक प्रतिभागी भाग लेना छल। जाहि सभके पाछा छोड़ैत श्रुति झा माइलस्टोन मिसेज इंटरनेशनल केर ताज अपना नाम केलीह।

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने