बेटी होयबाक भेटल एहेन दंड, चंडाल माँ - बाप नवजात बच्चिया के कूड़ाक ढ़ेरी मे फेकलैन्ह

मधुबनी। 03 फरवरी। एखन ओ पूरा तरहे एहि दुनियां मे आँइख सेहो नहि खोलने छली कि हुनकर अपने हुनका अपनासे दूर के देलैन्ह। ई दृश्य नगर थाना के गौशाला चौक पर देखबाक लेल भेटल। जता आजुक कपकपी जाढ़ मे एक नवजात बच्चिया कूड़ाक ढ़ेरी पर खेलैत भेटलि। 

आय भोर पांच बजे जखन लोग सभ ओहि दिस से गुजरल तें बच्चिया के कानैक आवाज सुनाल परलैन्ह। नवजात बच्चिया क' कपड़ा मे लटपटा कूड़ाक ढ़ेरी पर फेकल गेल छल। लोग सभ तुरंत बच्चिया के बाहर निकालैन्ह। अप्पन सभ भलेहिं हुनका बेटी होयबाक दंड देलैन्ह मुदा ओहि मोहल्ला  केर रहिवासी महिला सोनिया बच्चिया केर माँ बनबाक लेल आगू अएलीह।

मासूम महिलाक कोरा मे आबैते हँसे लागली। ओतहि महिलाक भीतर सेहो  माय केर ममता फूटी पड़ल। एहि बातक सूचना जखन चाइल्ड लाइन कर्मी क' भेटल तेँ ओ बच्चिया के लेबा पहुँचल। मुदा मोहल्लाक लोग बच्चिया देबा से इंकार क' देलैन्ह।

बहरहाल, टाउन थाना आर राजनगर थाना बच्चिया के लेबा मे चाइल्ड लाइन केर मदैद के रहल अछि। चाइल्ड लाइन कर्मी केर मानी तें एहि तरहक बच्चा के रखबाक लेल सरकार केर दत्तक ग्रहण केंद्र अछि, जता मजिस्ट्रेट बच्चा के भेजैत अछि। ओतहि सरकार डिस से सभ सुविधा सेहो देल जायत अछि।

 
ओतहि, मोहल्ला वासी सभक कहब छैन्ह कि ऐता कैको अवैध तरिका से  नर्सिंग होम चलाओल जे रहल अछि, जते नवजात बच्चा खासकरीके बेटी सभके जन्म देबा फेक देल जायत अछि। एहि पर प्रशासन किछ नहि क' रहल अछि।

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने