हम्मर अपने एजेंडा अछि, दोसरा सभक लेल कतो किएक जायब : नीतीश कुमार

पटना। 02 फरवरी। जदयू के राष्ट्रीय अध्यक्ष व बिहार के मुख्यमंत्री नीतीश कुमार कहला कि ओ उत्तरप्रदेश मे चुनाव प्रचार से दूर रहता। अपने के बता दी कि उत्तरप्रदेश मे फरवरी सँ मार्च तक चुनाव होमे जे रहल अछि। 

जखन नीतीश कुमार से पुच्छल गेल कि ओ पांच राज्य मे होमै बला विधानसभा चुनाव मे प्रचार करे जता तेँ ओ कहला हम कतहु नहि जायब। हम बिहारक विकास के एजेंडा पर काज क' रहल छी। हमरा निश्चय यात्रा क'  4 फरवरी से फेर सँ शुरू करबाक अछि। हम दोसरक एजेंडा लेल कतहु आर किएल जाय ?

निश्चय यात्रा पर बात करैत नीतीश कुमार कहला कि सात निश्चय कार्यक्रम के तहत शुरू भेल वेलफेयर स्कीम केर रिव्यु 36 जिला मे भ' चुकल अछि।  आब बस वैशाली आर पटना बचल अछि। आगा ओ कहला की ओ 4 फरवरी दिन वैशाली आ 5 फरवरी दिन पटनाक ग्रामीण इलाक सभक निरिक्षण करता।

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने