नोटबंदी : अनियमितताक आरोप मे 156 बैंक अधिकारी सस्पेंड

नई दिल्ली। 04 फरवरी। नोटबंदीक बाद कालाधनके सफेद करबामे बैंक अधिकारि सभक संलिप्तता संबंधी कैको खबैर सामना आयल अछि। जाहिक चलते करीब 156 अधिकारि सभके सस्पेंड क' देल गेल अछि। वित्त मंत्री अरुण जेटली कैल्ह शुक्रवार दिन लोकसभा मे एहि बारे मे जानकारी देलैन्ह। वित्त मंत्री कहला कि नोटबंदी के बाद किछ बैंक अधिकारि सभके अनियिमतता मे संलिप्त पाओल गेल। प्रथम दृष्टया अनियमितता के देखैत सरकारी क्षेत्र के बैंक सभ एखन धरी 156 अधिकारि सभके निलंबित व 41 अन्य अधिकारि केर तबादला क' देलन्हि अछि।

जते तक निजी क्षेत्र के बैंक सभक बात अछि एहि पर वित्त मंत्री कहला कि भारतीय रिजर्व बैंक (आरबीआई) केर मुताबिक़ नोटबंदीक दौरान गैरकानूनी तरिका से बैंक नोट बदलबामे संलिप्त पाओल गेल 11 अधिकारि सभके निलंबित कायल गेल अछि। बैंक सभक आंतरिक जांय शुरू कायल गेल अछि। 

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने