अजीबोगरीब जुड़वा बच्चा लेलन्हि जन्म, दुनु बच्चा के मुंह से पेट धरी एकदोसर संग सटल अछि

मुजफ्फरपुर। 16 जनवरी। मुजफ्फरपुर जिला के एसकेएमसीएच अस्पताल मे जुड़वा बच्चा जन्म लेलन्हि अछि। लेकिन, अजीब बात ई अछि कि ई दुनु बच्चा के मुंह से ल'के पेट धरी आपस मे सटल अछि।डॉक्टर सभक मुताबिक दुनु नवजात बच्चा केर हालत गंभीर बनल अछि। डॉक्टर सभक टीम बच्चा पर निरंतर नजैर राखने अछि। डॉक्टर सभ सर्जरी करबाक लेल ऑपरेशन पर विचार क' रहल अछि।

जानकारी केर मुताबिक, शिवहर जिला के श्यामपुरभटहां के रामबन रोहुआ मे रहे बला मोहित कुमार केर पत्नी क' देर रति अचानक पेट मे दर्द भेलन्हि जाहिक बाद हुनक परिजन हुनका इलाज लेल शहर के एक निजी नर्सिंग होम ल' गेलन्हि। जता, प्रसव के दौरान महिला जुड़वा बच्चा के जन्म देलन्हि। लेकिन दुनु नवजात बच्चा आपस मे सटले जन्म लेलन्हि। डॉक्टर सभ बच्चा के इलाज लेल पटना रेफर करबाक बात कहलनि।  लेकिन, नवजात बच्चा के परिजन आर्थिक तंगी के चलते बच्चा के इलाज बाहर करेबामे असमर्थ छैथ।

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने