आय नगदी निकासी के सीमा बढ़ा सकैत अछि रिजर्व बैंक

मुम्बई। 16 जनवरी। रिजर्व बैंक ऑफ़ इंडिया (RBI) आय आज जनके खुशखबरी द' सकैत अछि। प्राप्त सुचना केर मुताबिक, आरबीआई आय निकासी के सीमा बढेबाक घोषणा क' सकैत अछि। एहीसे पहिने 1 जनवरी 2017 दिन एटीएम से नगदी निकासी केर रोजाना सीमा 2,500 टाका से बढ़ाके 4,500 टाका कायल गेल छल। ओहिसमय 24,000 टाका केर साप्ताहिक सीमा क' बरकरार राखल गेल छल। लेकिन, एहिबेर रिजर्व बैंक एहि सीमा क' बढेबाक घोषणा क' सकैत अछि।

गौरतलब अछि कि एखन कुनु भी व्यक्ति सप्ताह मे 24,000 टाका से बेसी  नहि निकैल सकैत अछि। ओना ते आब नगदी लेल मारामारी केर स्थिति नहि अछि। तैयो लोग जल्द निकासी केर सीमा बढेबाक इंतजार क' रहल अछि ताकि छोट - छोट सही, सभतरहक समस्या से निजात भेट सके।

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने