छात्रा नालंदा के रहिवासी छथि। ई एडमिट कार्ड सोशल मीडिया पर खूब वायरल भ' रहल अछि। आब ई छात्रा एहि एडमिट कार्ड केर आधार पर कोना परीक्षा देती, बड़का सवाल अछि? एहीसे आयोग केर कर्मचारी सभक कार्यशैली पर सेहो सवाल उठे लागक अछि। आखिर छात्रा केर फोटो गायब करि एक चर्चित अभिनेत्री केर टॉपलेस फोटो कोना लगाओल गेल ?
बिहार कर्मचारी चयन आयोग केर गलती से छात्रा के बहुत बदनामी भ' रहल छैन्ह। सोशल मीडिया पर कार्ड वायरल होयबाक बाद एहिके बहुत बेसी शेयर कायल जे रहल अछि। लोग लगातार एक दोसर क' मैसेज के जरिया ई फोटो भेज रहल अछि। कर्मचारी आयोग केर एक गलती से छात्रा के भविष्य आर हुनकर परीक्षा देवा पर सवालिया निशान ठाढ़ भ' गेल अछि।
बिहार कर्मचारी चयन आयोग 06060114 / 2014 जारी केना छल। ऐहिक बाद छात्रा एहि प्रथम इंटर स्तरीय संयुक्त प्रारंभिक प्रतियोगिता परीक्षा- 2014 के लेल आवेदन केलन्हि। जिनकर नाम एक चर्चित अभिनेत्री के नाम पर छलैन्ह। ओनाकी, नाम से टाइटल नहि मिल रहल अछि।
छात्रा पिछड़ा वर्ग के छथि। छात्रा के परीक्षा केंद्र श्री हरखेन कुमार जैन ज्ञान स्थली हाइस्कूल, आरा अछि। ई एडमिट कार्ड कैको व्हाट्सएप ग्रुप से ल'के फेसबुक तक वायरल भ' चुकल अछि। ऐम्हर, वरीय अधिवक्ता अमरेंद्र कुमार सिंह केर कहब अछि कि छात्रा के भविष्य संग ई बहुत बड़का खिलवाड़ अछि। एहि प्रकरण मे एडमिट कार्ड जारी करनिहार आयोग के अधिकारी पर मानहानि व क्षति पहुंचेबाक मामला बौन रहल अछि।
एक टिप्पणी भेजें
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।