हैवान पति, पत्नी आ दुइ बच्चा केर हत्या करि अधजरल शव के मैटमे गाड़लन्हि

सहरसा। 27 जनवरी। जिला के सलखुआ प्रखंडक पुरैनी ठाकुर टोलामे एक हैवान पति अप्पन पत्नी, बेटा व बेटी केर हत्या करि शव के जड़ेबाक प्रयाश कएलन्हि। जखन शव पूरा तरहे नहि जरल तें ओ अधजरल शव के खधाइर खुनी ओहिमे गाड़लन्हि। 

एहि कुकृत्य क' अंजाम देबाक बाद ओ फरार बताओल जे रहल छैथ। जखन आस - पड़ोसक लोग बच्चा सभके खेलैत नहि देखलैन्ह संगहि घर सुन्न देखला पर खोज करब शुरू कएलन्हि। संशयक स्थिति मे जखन खधाइर खुनल गेल तें ओहिमेतीनो के अधजरल शव देखि सभक होश उड़ी गेलैन्ह। 

लोग सभ पुलिस क' घटना केर जानकारी देलन्हि। घटनास्थल पहुंचकर पुलिस अधजरल शव क' अप्पन कब्जा मे ल' मृत पत्नी के परिजन सभके सुचना द' देलन्हि। पुलिस फरार आरोपी केर तलाश क' रहल अछि। एखन धरी घटनाक कुनु कारणक खुलासा नहि भेल अछि। 

स्थानीय लोग सभक मुताबिक आरोपी केर नाम डोमी ठाकुर अछि जे अप्पन पत्नी जिनकर नाम शांति देवी, 25 वर्षीया, 7 वर्षीय पुत्र सत्यम कुमार आ  3 वर्षीया सोनम कुमारी केर हत्या करि फरार बताओल जे रहल छैथ।

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने