सड़क हादसामे छात्रा के मौत पर बवाल, कैको गाड़िमे तोड़-फोड़ कायल गेल

हाजीपुर। 27 जनवरी। नगर के हथसरगंज थाना क्षेत्र मे आय भोर साइकिल से स्कूल जेबाक क्रम मे एक छात्रा क' तेज रफ्तार से आयब रहल ट्रक दाबी देलैन्ह। घटना के बाद छात्रा के मौके पर मौत भ' गेलैन्ह। हादसा के बाद स्थानीय लोग सभ आक्रोशित भ' सड़क जाम करि प्रदर्शन कएलन्हि। 

ओतहि घटना के बाद छात्रा के शव लैबाक लेल आयल एंबुलेंस क' सेहो उग्र लोग सभ छतिग्रस्त क' देलन्हि। संगहि ओता मौजूद कैको गाड़िमे सेहो  तोड़फोड़ कएलन्हि। घटनाक सूचना भेटते पुलिस मौके पर पहुंच आक्रोशित लोग केशांत करि जाम हाटेबा मे जुटल छल।

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने