गणतंत्र दिवस पर देखायल सात निश्चय केर नजारा

दरभंगा। 27 जनवरी। 68वां गणतंत्र दिवसक मौका पर जिला के प्रभारी मंत्री महेश्वर हजारी शहर के पोलो मैदान मे आयोजित कार्यक्रम मे झंडोतोलन कएलन्हि। जता हजारी संविधान निर्माता डॉ. भीम राव अम्बेदकर क' याद करैत हुनका द्वारा लिखल गेल संविधान मे गरीब, वंजित सभके देल गेल अधिकार सभक उल्लेख करैत बिहार सरकार के सात निश्चय जाहिमे हर घर, नल के जल, मिशन चक-चक, कुशल विकास कार्यक्रम, खुला मे शौच मुक्त, शराबबंदी से अपराध नियंत्रण आदि बिहार सरकार द्वारा जारी योजना सभसे भेटै बला फायदा के अप्पन संबोधन भाषण मे मौका पर उपस्थित हजारो के संख्या मे लोग सभक समक्ष गनेलन्हि संगहि आगामी बरख मे विकासक गति क' आरो तेज करबाक बात कहलनि। 


Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने