भारतीय कम्युनिस्ट पार्टी के बेनीपट्टी अंचल मंत्री विद्यापति झा केर आकस्मिक निधन

मधुबनी। 28 जनवरी। भारतीय कम्युनिस्ट पार्टी के बेनीपट्टी अंचल मंत्री कॉमरेड विद्यापति झा केर आकस्मिक निधन कैल्ह राति भ' गेलैन्ह।दिल्ली मे अप्पन पुत्र श्री सरोज झा के निवास पर हुनक हृदय गति रुकला सs निधन भेल। भारतीय कम्युनिस्ट पार्टी बिहार राज्य परिषद के सदस्य आ मधुबनी जिला मुखिया महासंघ के अध्यक्ष कृपा नंद आजाद शोक प्रकट कएलन्हि, संगे ओ कहला कि हुनकर निधन से गरीब, मजदुर, किसान सभ अप्पन हितैषी हरा देलन्हि अछि। श्री झा 1978 से ल'के 2001 धरी कटैया पंचायत के मुखियाक रुपमे आ प्रखंड विकास समिति के सदस्यक रुपमे प्रखंड के विकासक लेल सराहनीय काज केना छलाह। 

हुनकर निधन पर आय भारतीय कम्युनिस्ट पार्टी बेनीपट्टी अंचल कार्यालय मे दुपहर1 बजे शोक समारोह केर आयोजन कायल गेल अछि, जाहिमे श्री कृपा नंद आजाद सभसे भाग लएबाक आग्रह केलन्हि अछि। 

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने