सुच्चा मैथिल के महाराष्ट्र (मुम्बई) बैसार मे मुम्बई आ उपनगरीय क्षेत्रक कोण-कोण सँ बैसार स्थल पर सदस्य सब पहुँच बढ़ि-चढ़ि कय भाग लेलाह । अध्यक्ष अपन वक्तव्य शुरू केलनि आर एक सँ बढ़ि कय एक जानकारी देलाह जेकर सरोकार सीधा-सीधा मिथिला आर मैथिली सँ जुड़ल अछि । जेनाकी मिथिला केँ कोनो खास जाति-विशेषक हेबाक बात किछु लोक सब दिन कहैत आबि रहल अछि, मैथिली भाषा सेहो कोनो खास जाति-विशेषक होयबाक बातक भ्रम समाज मे पसरल अछि तेकरा दरकिनार करैत ओ कहलाह जे मिथिला मे बसनिहार हरेक व्यक्ति मैथिल थीक आ मिथिला सभक सझिया फूलबारी थीक ।
अध्यक्ष शर्मा आगू अपन बात रखैत बजलाह जे मिथिलाक संस्कृति, बोली, चालि-चलन आदि एखनहु धरि सुच्चे मैथिल अर्थात् आम जनवर्गीय समुदाय व जातिक लोक जे सब दिन मिथिलाक मूल धरातल पर अपन सेवा व कला सँ समाज केँ अग्रगमन मे सहयोग कएलनि यैह सब मिथिला केँ आइ धरि जोगा कय राखने छथि, बाकी अपना केँ उच्चवर्गीय आर काफी पढल-लिखल बुझनिहार त अपन भाषा सँ दूर, अपन भेष-भूसा सँ पर्यन्त दूर होएत फैशनपरस्त होएत चलि जा रहल अछि । सुच्चा मैथिल वर्गक विभूति सबहक कतहु कोनो नामोनिशान तह नहि रहि जायब मे वैह उच्चवर्गक फैशनपरस्त लोक जिम्मेवार अछि आर एहि चिन्ता केँ दूर करबाक लेल सुच्चा मैथिल संस्था, अभियान आ प्रत्येक सदस्य लेल मूल कर्तब्य बनैत अछि। अपन मूल भूमि पर अपनहि विभूति सँ दूर कय देबाक षड्यन्त्र केँ असफल बनेबाक लेल सुच्चा मैथिलक हरेक सदस्य एकजूट भऽ आगामी समय मे काज करबाक आवश्यकता पर ओ जोर देलनि ।
बैसार मे सदस्यता अभियान, कोषक व्यवस्थापन, मिथिलाक मूल गाम-घर मे सेहो समूहक ईकाइक गठन, देश मे महाराष्ट्र व दिल्लीक अलावे आनो-आन जगहपर गठन कैल जेबाक मुद्दापर गहन विचार विमर्श कैल गेल ।
तदोपरान्त संस्थाक महाराष्ट्र कार्यकारणीक चुनाव पर गंभीर विचार करैत सर्वसहमति सँ नव कार्यकारिणीक चुनाव भेल । जाहि अनुसारे कार्यकारिणीक भार रामबाबू ठाकुर (अध्यक्ष), सुशील कुमार मंडल (महासचिव), अशोक साहू (सचिव), दिगम्बर शर्मा (कोषाध्यक्ष), अमोल कुमार चौधरी (मिडिया प्रभारी), पवन शर्मा (सदस्य) केर नाम चूनल गेल ।
बैसार मे राष्ट्रीय कार्यकारणी सदस्य राम नरेश शर्मा (अध्यक्ष ), लव किशन (कोषाध्यक्ष), लालबाबू यादव आर महाराष्ट्र कार्यकारणीक नव नियुक्त रामबाबू ठाकुर, सुशील कुमार मंडल, लालबाबू शर्मा, दिगम्बर शर्मा, पवन शर्मा, अशोक साहु, संगहि अन्य बहुतो रास नव सदस्य जेना राजेश शर्मा, मनोज शर्मा, रामशंकर शर्मा, शम्भू शर्मा, गुड्डू कुमार यादव, शिव शंकर प्रसाद, मिथुन शर्मा, सुधीर कुमार शर्मा, सूर्या ठाकुर, किशन गोड, राम नरेश शर्मा आदि उपस्थित छलाह ।
दिल्ली :- बैसार मे सदस्यता अभियानक शुभारम्भ भेल । सुच्चा मैथिल दिल्ली प्रदेश अध्यक्ष अरुण शर्माक माताक अचानक स्वास्थ बिगड़लाक कारणे बैसार मे उपस्थित नहि भऽ सकलाह संगे हुनकर किछु करीबी सदस्य सेहो तुरन्त आनन फानन मे हुनकर दुःखक समय मे साथ देबाक लेल मिथिला रवाना कएल गेलाह ।
सुच्चा मैथिल समूह अपन लक्ष्य प्राप्तिक लेल अपन विचारक अदान-प्रदान केलक, बहुत रास मुद्दा पर चर्चा भेल जाहि मे सदस्यता अभियान दिल्लीक कोण-कोण आ घर-घर जा कय चलेबाक निर्णय लेल गेल । एहि अभियानक जिम्मेदारी सुच्चा मैथिलक दिल्ली प्रदेश नवनिर्मीत महासचिव संतोष शर्मा, उपाध्यक्ष शम्भु शर्मा, सचिव संत्रोहन मंडल, उमाशंकर आदि लेलनि । ऐगला एक महीना मे सदस्यता सूची राष्ट्रिय समूहक समक्ष रखताह तेकर आश्वासन ओ लोकनि देलाह ।
बैसार मे उपस्थित वरिष्ठ सुच्चा मैथिल बिरबल यादव, रोहीत यादव, रंजीतलाल दास, अमलेश मंडल सेहो अपन विचार रखलनि । सुच्चा मैथिल केँ मिथिला क्षेत्र मे काजक प्रयास शुरू होयबाक जनतब भेटल । सुच्चा मैथिल हर सम्भव प्रगतिक ऐगला डेग बढा रहल अछि, मिथिलाक मूल धरातल पर संस्थाक मजगुुतीक लेल बहुत जल्दिये राष्ट्रिय समूह किछु महत्वपपूर्ण घोषणा करत से जानकारी सुच्चा मैथिल संस्थाक राष्ट्रीय महासचिव अमलेश मंडल देलनि ।
निम्मन
जवाब देंहटाएंएक टिप्पणी भेजें
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।