कानपुर रेल हादसा : नेपाल सरकार दुबई से मांगलन्हि कानपुर रेल हादसा केर मास्टरमाइंड

मोतिहारी। 19 जनवरी। नेपाल पुलिस कैल्ह बुधवार दिन पाकिस्तानी खुफिया एजेंसी आईएसआई के ओय एजेंट के प्रत्यर्पण केर प्रक्रिया शुरू क' देलन्हि, जे पिछ्ला बरख भारत मे अप्पन लोग सभक जरिए 2 बड़का रेल  दुर्घटना के साजिश रचने छल। कानपुर के नजदीक भेल ई हादसा मे 150 यात्री केर जान गेल छल, जखनकि 200 से बेसी घायल भेल छल। 


जाहि आईएसआई एजेंट का दुबई से प्रत्यर्पण कराओल जे रहल अछि, ओ एक नेपाली शख्स छैथ। हुनकर नाम शमशुल हुदा अछि। कानपुर रेल हादसा के बाद मोतिहारी आर  नेपाल मे छह लोग केर गिरफ्तारी के बाद हुदा के बारे मे पता चलल। हुदा अप्पन नेटवर्क नेपाले के बृज किशोर गिरी उर्फ बाबा गिरी, शम्भू गिरी आर मुजाहिर अंसारी के जरिए चलबैत छला। ई तीनों क' नेपाल मे गिरफ्तार कायल गेल अछि। बृज किशोर बिहार के तीन अपराधी उमाशंकर पटेल, मोतीलाल पासवान आर मुकेश यादव क' तीन लाख टाका देना छल। पाई देबाक मकसद इंदौर-पटना एक्सप्रेस आर  सियालदह-अजमेर एक्सप्रेस क' दुर्घटना केर शिकार बनेबाक साजिश रचब छल। 

बिहार के इये तीनो अपराधि गछलन्हि कि ओ सभ नेपाल के एक आईएसआई एजेंट के लेल काज केलन्हि। मामला के जांच क' रहल इंस्पेक्टर अरुण कुमार कुशवाहा क' नेपाल के बारा  कहलनि कि हमसब  शमशुल हुदा केर प्रत्यर्पण केर प्रक्रिया शुरू क' देना छी। एम्हर, भारत मे नैशनल इन्वेस्टिगेशन एजेंसी (एनआईए) आर इंटेलिजेंस ब्यूरो के अफसर  कैल्ह बुधवार दिन मोतिहारी पहुंच गेला। ऐता ओसभ ओहि तीनो संदिग्ध आतंकि से पूछताछ केलन्हि, जे सभ ट्रेन दुर्घटना मे शामिल होयबाक बात गछलन्हि अछि। 

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने