कूड़ा - करकटक ढेरी पर बसल अछि मधुबनी शहर

मधुबनी। 03 जनवरी। नगर परिषद प्रशासन सफाई केर लाखो दावा करे, मुदा हकीकत सबक समक्ष अछि। शहर के सभ 30 वार्ड मे गंदगी केर अंबार लागल अछि। जिला प्रसाशन के नाकक नीचा सेहो गंदगी व कूड़ा-करकट के ढेर पसरल अछि। थाना चौक से बाटा चौक होयत शंकर चौक तक जायबला सड़क के दुनु दिस गंदगी व कूड़ा-करकट के ढेर जता - तता पसरल अछि। 

एहने हाल थाना चौक से स्टेशन होयत बस स्टैंड तक जायबला मुख्य सड़क के अछि। ऐता सेहो हर दुइ डेग पर कूड़ा-करकट केर अंबार लागल अछि। शहर के प्रमुख मंडी गिलेशन बाजार तेँ मानु नरक म' तब्दील भ' गेल अछि। जाहि दिस नहिते जिला प्रशासन केर नज़र जे रहल अछि नहिये नगर परिषद प्रशासनके। सफाई अभियानक लेल  तरह-तरह के कार्यक्रम सरकार द्वारा चलाओल जे रहल अछि, जाहि पर भारी भरकम खर्च सेहो कायल जे रहल अछि। लेकिन मधुबनी शहर के साथ ई दुर्भाग्य अछिकि एता नहि तेँ जल निकासी लेल नाला केर व्यवस्था अछि आर नहिये अतिक्रमण रोकबाक लेल कहियो कुनू पहल भेल अछि। 

सफाई केर नाम पर या कचरा हटेबाक नाम पर हर माह नगर परिसद के  लाखों टाका खर्च भ' रहल अछि, मुदा नतीजा ई अछि कि शहर के कुनु भी भाग मे गंदगी के कारण लोग ठाढ़ भ' बात नहि क' सकैत अछि। एहि बाबत नगर परिषद के कार्यपालक पदाधिकारी जटाशंकर झा केर कहब छैन्ह कि नगर परिषद छेत्र केर सफाई लेल लगातार प्रयास कायल जे रहल अछि आर आगुवो जारी रहत।

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ