दरभंगा। 03 जनवरी। दरभंगा कॉलेज ऑफ इंजीनियरिंग केर छात्र सभ नव बरख केर शुरूआत एक खास अंदाज मे केलन्हि। कॉलेज के छात्र सभ पर्यावरण संरक्षण क' बढ़ावा देबाक लेल कॉलेज परिसर मे वृक्षारोपण करि नव बरख केर शुरुआत केलन्हि। इंजीनियरिंग के छात्र सभ एहि मौका पर कहला कि देश मे बढ़ी रहल प्रदूषण केर रोक थाम लेल हमरा सभ के आगू अएबाक जरुरत अछि। ऐहिक लेल बेसी से बेसी वृक्षारोपण करबाक चाहि। जाहिसे पृथ्वी पर वातावरण अनुकूल बनल रहे।
कॉलेज के छात्र सभ कहलनि कि उत्तराखंड केर महिला सभ चिपको आंदोलन केर तहत गाछ से चिपकी केलाखों गाछ कटबा से बचेना छली, जाहिसे सभके प्रेरणा लेबाक जरुरत अछि। संगहि जगह-जगह काटल जे रहल गाछ क' बचेबाक जरुरत अछि।
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।