प्रकाश पर्व खोलत बिहारक तरक्की केर राह, होयत 200 करोड़ केर व्यवसाय

पटना। 03 जनवरी। नोटबंदी के बाद से ठप पड़ल राजधानी केर आर्थिक गतिविधि क' 350वां प्रकाशोत्सव से गति भेटल अछि। महज 3-4 दिन मे पटना मे सीधा तौर पर 200 करोड़ सँ बेसी के व्यवसाय होबाक अछि। संगहि पंजाब से आयल कैको  श्रद्धालु सभक मन गुरु केर एहि नगरी मे एहि तरहे रमल कि ओ बिहार मे अपना लेल व्यवसाय केर अवसर खोईज रहल छैथ। 

जालंधर के फुटबॉल चौक पर छोट सन फैक्ट्री चलबै बला शिवेंद्र सिंह अप्पन परिवारक संग आयल छैथ। हुनकर 2 बेटा सेहो संग छैन्ह। विक्की आर शैली पटना के तैयारि से बहुत खुश छलाह। ओ हर दोसर व्यक्ति से जाने चाहैत छैथ कि बिहार मे स्पोर्ट्स गुड केर कतेक खपत अछि। शिवेंद्र कहला कि वाहे गुरु केर कृपा होयत ते ओ अप्पन व्यवसाय केर विस्तार गुरु के द्वार पटना से करता। 

लुधियाना के इंडस्ट्रियल इस्टेट के ए-ब्लॉक मे एमटीबी बाइक्स, ई-बाइक्स, रोडस्टर आर बच्चा सभक साइकिल बनबे बला कंपनी हाबार्ड बाइसाइकिल कंपनी के मैनेजिंग पार्टनर शोधी चड्‌ढ़ा कहल कि बिहार मे पटना के बाहर साइकिल कंपोनेंट केर बड़का मांग अछि। कैको स्तर पर एहिठाम एसेंबलिंग होयत अछि, लेकिन करीब 95 फीसदी आपूर्ति लुधियाना केर कंपनी से होयत अछि। गुरुनानक एग्रीकल्चर खेती के टूल बनबै बला कंपनी अछि। ग्रुप सँ जुड़ल लोग सभक एक जत्था पटना आयल छैथ। ग्रुप वाहे गुरु केर दर्शन के बाद पटना मे 2 दिन रुकत। पूरा  परिवार के साथ 20 लोग सभक  दल चाहता अछि कि पटना मे सेहो हुनकर कंपनी केर डिस्ट्रीब्यूशन चैनल बढ़े। कंपनी एखन 120 करोड़ केर व्यापार करैत अछि। एहेन हजारों श्रद्धालु अछि, जिनकर आस्था पटना से एहि तरहे जुडल छैन्ह कि ओ अप्पन कारोबार पटना से करे चाहैत छैथ। बिहार मे बीतल किछ बरख मे आयल बदलाव क' ओसभ सकारात्मक सेहो मानैत छैथ। प्रकाशोत्सव के लेल पटना से ल'के पटना साहिब तक  सफाई व्यवस्था आर सरकारी संस्थान सभक सकारात्मक पहल केर सभ कियो सराहना केलन्हि। 

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने