ग्रामीण सभक बहादुरी से मोटरसाइकिल समेत लुटेरा धरायल

कमतौल (दरभंगा)। 28 जनवरी। ग्रामीण सभक बहादुरी से पिछ्ला गुरुवार के रतनपुर सरस्वती शिशु मंदिर लग से लुटलगेल अपाचे मोटरसाइकिल BR06AV/9685 क' मोटरसाइकिल सवार के हल्ला केला पर ग्रामीण सभ अप्पन बहादुरी देखबैत छीनल गेल मोटरसाइकिल क' हथियार बंद तीन लुटेरा मे एक के रतनपुर-लखनपुर पथ पर धड़ दबोचलन्हि। ओतहि गश्ती दल तुरंत मौक़ा पर पहुंच ग्रामीण सभसे माइर खे रहल लुटेरा क' जिंदा कारतूस व एक देशी कट्टा संग अपना कब्ज़ा मे लेलैन्ह।

मौका पर सीमावर्ती जाले, सिंहवाड़ा व मुजफ्फरपुर जिला के कटरा थाना पुलिस के गश्ती दल सेहो पहुँचल। लुटेरा क' पकड़बाक क्रम मे एक ग्रामीण सेहो जख्मी भेला। पुलिस धराओल गेल लुटेरा केर पहचान सीतामढ़ी जिला के रुनीसैदपुर थाना क्षेत्रक रामनगर गाम निवासी रमेश कुमार मिश्र के पुत्र रवि कुमार मिश्रक रूप मे कएलन्हि अछि। गिरफ्तार लुटेराक निशानदेही पर कमतौल थानाध्यक्ष राजकुमार राय  कटरा थाना पुलिस के सहयोग सँ एहि थाना क्षेत्र के बखरी गांव निवासी पवन पासवान के पुत्र व मोटरसाइकल लूट के दोसर लुटेरा संगी सूरज पासवान क' सेहो गिरफ्तार कएलन्हि अछि। तेसर अपराधी के सेहो गिरफ्तारी के लेल एएसपी दिलनवाज अहमद मोनेटरिंग क' रहल छैथ। उक्त मामला ल'के कमतौल पुलिस निरीक्षक अजय कुमार झा केर नेतृत्व मे छापामारी जारी अछि। 


अपने के बता दी कि क्षेत्रक कलवारा गाम निवासी राम ज्ञान दुबे के पुत्र मनीष कुमार दुबे क्षेत्रक ब्रहमपुर हाट पर फोटो स्टेट के दोकान चलबैत छैथ। पिछ्ला गुरुवार के सांझ ओ अप्पन दोकान बंद करि अप्पन सफ़ेद अपाची मोटरसाइकल BR06AV/9685 से अप्पन सासुर कटरा थांना क्षेत्र के लखनपुर गाम जायत छला। एतबे मे एक मोटरसाइकल पर सवार तीन अपराधि सभ रतनपुर स्कुल लग अपाची बाइक हुनका से छीन लेलैन्ह। जाहि पर एक अपराधी सवार भ' सभ अपराधी भागे लागला। पीड़ित दूबे खूब जोर से हल्ला करि मदद लेल गुहार लगेलन्हि। रतनपुर-लखनपुर पथ पर भाईग रहल दुनु मोटरसाइकल मे एक मोटरसाइकल व एक लुटेरा धराओल गेल। दोसर मोटरसाइकल पर सवार दुनु लुटेरा भागवा मे कामयाब रहला। जाहिमे एक सूरज क' पुलिस कैल्ह शुक्रवार दिन गिरफ्तार केलन्हि अछि।

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने