बक्सर। 03 जनवरी। बक्सर केंद्रीय कारा (जेल) सँ फरार भेल पांच कैदि मे एक कैदी क' पुलिस आय मंगलवार दिन सारण जिला के मुफस्सिल थाना क्षेत्र सँ गिरफ्तार केलन्हि। गिरफ्तार केलाक बाद कैदी आत्महत्या करबाक कोशिश केलन्हि, जाहिक बाद पुलिस हुनका सदर अस्पताल मे भर्ती करौलन्हि, जता हुनकर हालत खतरे से बाहर बताओल जे रहल अछि।
सारण जिला के मुफस्सिल थाना प्रभारी शंभुशरण सिंह कहला कि गुप्त सूचना केर आधार पर पुलिस बक्सर जेल सँ फरार कैदी देवधारी राय क' मठिया मोड़ लग गिरफ्तार केलन्हि अछि। पुलिस जखन देवधारी क' ल थाना पहुँचल तखन ओ कुनु नोकीला चीज से अप्पन कलाई केर नस काटबाक कोशिश केलन्हि। पुलिस हुनका आनन-फानन मे सदर अस्पताल मे भर्ती करौलन्हि, जता चिकित्सक सभ प्राथमिक उपचार के बाद हुनका अस्पताल से छुट्टी द' देलन्हि। सारण पुलिस आब देवधारी क' बक्सर पुलिस क' सौंपबाक तैयारी क' रहल अछि।
अपने क' बता दी कि शनिवार दिन बक्सर जेल सँ पांच कैदी स्वास्थ्य वार्ड केर शौचालय के खिड़की तोईड़ फरार भ' गेल छल। एहि मामला मे जेल प्रशासन तीन कक्षपाल क' निलंबित क' चुकल अछि। फरार कैदि सभक गिरफ्तारी लेलपुलिस प्रयास क' रहल अछि।
एक टिप्पणी भेजें
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।