गार्मीण सभ बतौलन्हि कि पदाधिकारि एवं पुल निर्माण करै बला ठेकेदार, अभियंता सभक शिथिलता केर कारण आयधरि पहुंच पथ केर निर्माण नहि भेल अछि। ग्रामीण सभक कहब छैन्ह कि ओ सभ एहि संबंध मे कैको दफा सांसद व विधायक क' आवेदन द' पहुंच पथ केर निर्माण केर मांग केलन्हि। लेकिन ओहो सभ एहि दिस ध्यान नहि देलन्हि। ग्रामीण सभक कहब छैन्ह कि पहुंच पथ केर निर्माण नहि कराओल गेल तेँ ओ सभ अनुमंडल कार्यालय पर आमरण अनशन करता।
एसडीओ अमित कुमार कहला कि उक्त पुल के पहुंच पथक संबंध मे हुनका कुनु तरहक जानकारी नहि छैन्ह। ओ मामले केर तहकीकात करौता। ओहिक बाद कानूनी कार्रवाई होयत।
विधायक सुनील चौधरी के एहि संबंध मे कहब छैन्ह कि बेनीपुर के एसडीओ से पूरा मामला केर जांच कराओल जायत। संगहि संबंधित विभाग केर अभियंता एवं जिलाधिकारी सभ से बात कायल जायत।
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।