सुपौल। 01 दिसम्बर। सुपौल केँ मंडल कारा म' हत्या केँ आरोप म' बंद एक कैदी कैल्ह राति फांसी लगाआत्महत्या क' लेलन्हि। पुलिस सूत्र सँ पता चलल कि मरौना थाना क्षेत्र केँ सिसौनी गाम निवासी विचाराधीन कैदी मोहम्मद कलीम उर्फ़ घोलटा (36) करीब 3 माह पूर्व सँ अप्पन सास केर हत्याक आरोप म' सुपौल मंडल कारा म' बंद छला।
जेल सूत्र केर मानी तेँ कलीम दुइ - चारि दिन सँ जेल कर्मी क' बहुत परेशान करैत रहथिन जाहि कारण सँ हुनका अलग सेल म' राखल गेल छलैन्ह। जेल के गार्डक अनुसार कैल्ह राति तीन बजे के करीब देखलन्हि की कलीम अप्पन लुंगी केर फंदा बना फांसी लगा मृत पड़ल छैथ।
सुपौल एसडीपीओ बीना कुमारी कहली कि शव को' पोस्टमार्टम लेल सुपौल सदर अस्पताल भेजल गेल अछि। कैदी केँ परिजन क' ऐहिक सूचना द' देल गेल अछि। ओतहि कारा अधीक्षक सुरेश चौधरी कहला कि मामला संवेदनशील अछि, ऐहिक जाँच होयत।
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।