मिथिला समेत सगर बिहार म' सर्व शिक्षा अभियान केर सफलता पर लागि रहल अछि ग्रहण

सहरसा। 01 दिसम्बर। सरकार सर्व शिक्षा अभियान केँ माध्यम सँ बालिका शिक्षा क' प्रोत्साहित करबाक लेल कैको कल्याणकारी योजना  चला रहल अछि। ऐहिक बावजूद गरीबी के आगा योजना सभ क' अपेक्षित सफलता नहि भेट रहल अछि। एहि योजना सभक लाभ लेबा म' सभसँ बेसी महादलित बालिका सभ पिछड़ल अछि। ऐहिक कारण परिवार म' व्याप्त गरीबी अछि। कहल जायत अछि एक पुरूष केँ शिक्षित भेला पर एक व्यक्ति शिक्षित होयत अछि, परन्तु एक महिला केँ शिक्षित भेला सँ एक परिवार केँ साथ समाज शिक्षित होयत अछि। 

कैल्ह रिफ्यूजी कॉलोनी म' एक विद्यालय केँ छात्रा क' गंदगी नुमा कचरा के ढेर म' कचरा बिछैत देखल गेल। पुछल गेला पर अप्पन नाम राखी कुमारी पिता बीरू डोम बतेली। जखन स्कूल नहि जेबाक कारण पुछल गेल तेँ ओ कहली कि दिनभरि कचरा बिछ ओकरा सांझ क' बेचला पर करीब 50 टक्का तक आमदनी होयत अछि, जाहिसँ घर केँ जरूरतक सामान कीनल जायत अछि। राखी कुमारी कहली हुनकर नाम प्राथमिक विद्यालय म' दर्ज अछि। जखन संबंधित विद्यालय के प्रधान सँ बालिका के संबंध म' पुछल गेल तेँ पता चलल कि राखी केँ नाम चौथी कक्षा म' दर्ज अछि। परन्तु विद्यालय म' उपस्थिति बहुत कम रहैत अछि। स्कूल केँ एक शिक्षिका कहली कि घर जे क' बजेला के बादो राखी कुमारी विद्यालय नहि आबैत छथि। इ हाल पूरा क्षेत्रक विद्यालय के अछि। जता महादलित बच्चा सभक नामांकन तेँ दर्ज होयत अछि, परन्तु उपस्थिति नगन्य रहैत अछि। किएक जे बच्चा अप्पन माता - पिता केँ संग दोसर प्रदेश केँ ईंट भट्ठा पर जायत अछि आर 9 से 10 मास बाद वापस आबैत छैथ।

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने