मुजफ्फरपुर। 01 दिसम्बर। देश म' भ्रष्टाचार पर लगाम लागेबाल मकसद सँ कायल गेल नोटबंदी केँ कुनु खास असर देखार नहि द' रहल अछि। 8 नवम्बर क' कायल गेल नोटबंदी केँ बावजूद देश भरी म' कैको जगह सँ भ्रष्ट अधिकारि सभ द्वारा लाखों टक्का के घूस लेबाक खबैर लगातार आबैत रहैत अछि। एहि सिलसिला म' मुजफ्फरपुर म' सही आय बिजली विभाग केँ एक अधिकारी क' निगरानी टीम घूस लैत रंगल हाथ गिरफ्तार केलन्हि।
प्राप्त जानकारी केँ अनुसार निगरानी टीम विभाग केर इंजीनियर सतीश कुमार क' 10 हजार टक्का घूस लैत गिरफ्तार केलन्हि अछि। सतीश कुमार सरैया म' सहायक अभियंता केर पद पर कार्यरत छैथ।
अपने क' बता दी कि निगरानी टीम क' बिजली विभाग म' घूसखोरी केर लगातार शिकायत भेटि रहल छल। एहि बिच कियो टीम क' सहायक अभियंता कुमार द्वारा काज केँ बदला रिश्वत मांगबाक जानकारी देलन्हि। जानकारी भेटला पर एक्टिव भेल निगरानी टीम हुनका रिश्वत केर रकम संग रंगल हाथ गिरफ्तार क' लेलन्हि।
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।