मधेपुरा : मुख्यमंत्री केँ आगमन क' देखैत विकास योजना मे तेजी

मधेपुरा। 13 दिसम्बर। मुख्यमंत्री नीतीश कुमार निश्चय यात्रा के तहत 16 दिसम्बर क' मधेपुरा आबि रहल छैथ। ओ सदर प्रखंड के सुखासन गाम सेहो औता। मुख्यमंत्री के कार्यक्रम लेल गाम म' विकास योजना पर तेजी सँ काज भ' रहल अछि। सुखासन गाम के वार्ड संख्या सात म' कैको योजना चैल रहल अछि। सड़क केर पीसीसी ढलाई भ' रहल अछि। नाली केर निर्माण, घर म' जलापूर्ति, पैनक टंकी केर निर्माण सहित आन काज भ' रहल अछि।

नहि सिर्फ सरकारी बल्कि पंचायती राज व्यवस्था के प्रतिनिधि आर  पदाधिकारी-कर्मचारी सभ व्यस्त अछि। लोहिया स्वच्छ बिहार योजना आर स्वच्छ भारत मिशन मद सँ नया नगर म' 71 आर वार्ड सात म' 126 शौचालय केर निर्माण लगभग भ' चुकल अछि। समन्वयक राजेश कुमार कहला कि लाभार्थी स्वयं काज करवा रहल छैथ, हुनका ईंट, बालू, सिमेंट आदि केर आपूर्ति मुखिया द्वारा कायल जे रहल अछि। 

सुखासन के एहि महादिलत टोले म' स्थित सभ घर म' विद्युतापूर्ति कायल जे चुकल अछि।   कनीय अभियंता कहला कि सभ घर म' मीटर लगाओल गेल अछि आर विद्युतापूर्ति जारी अछि। अलग सँ एक ट्रांसफार्मर सेहो ऐता  63 केवीए के लगाओल गेल अछि। महादलित टोला म' मुख्य सड़क पूर्व से पीसीसी अछि जखन की गलि सभक दुइ नव सड़क क' नाली संग पक्कीकरण कायल जे रहल अछि। 

जमीनक अभाव केर बावजूद लोग अप्पन - अप्पन घर के अतिमक्रमण हटा पीसीसी निर्माण म' सहयोग द' रहल छैथ। एहि टोला म' एक बड़का टंकी निर्माणाधीन अछि, लेकिन हर घर म' चबूतरा के संग नलक टोटी लगाओल जे चुकल अछि आर ऐहिक लेल नाला सेहो बनाओल जे रहल अछि।

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ