हिम्मत छै तेँ शराबबंदी क' गलत सावित करे विपक्ष : नीतीश कुमार

पटना। 13 दिसम्बर। मुख्यमंत्री नीतीश कुमार शराबबंदी लेल विपक्ष के बयान पर कहलनि कि अगर विपक्ष क' हिम्मत छै तेँ शराबबंदी क' गलत सावित करे। नीतीश कुमार कहलनि कि शराबबंदी सँ राज्य म' धार्मिक भेदभाव खत्म भेल अछि। क्राइम इंडेक्स म' बिहार 22 वां नम्बर पर अछि, जखन की सभसँ बेसी अपराध दिल्ली म' भ' रहल अछि।

जनता दल यूनाइटेड द्वारा आर मंगलवार क' हज भवन म' आयोजित शराबबंदी पर कार्यशाला क' संबोधित करैत नीतीश कुमार उक्त बात कहला। शराबबंदी सँ  ईसे क' भेल आन फायदा गनबैत ओ कहला कि आगामी 21 जनवरी क' विशाल मानव श्रृखला निकलत। राजधानी पटना म' ऐहिक शुरुआत होयत आर भोर 9.30 बजे सँ 10.30 बजे धरी लागे बला एहि  मानव श्रृंखला म' दुई करोड़ लोग भाग लेता। 

शराबबंदी पर भेल जदयू के एहि कार्यशाला म' मुख्यमंत्री नीतीश कुमार के संग सांसद आरसीपी सिंह, प्रदेश अध्यक्ष वशिष्ठ नारायण सिंह समेत कैको  मंत्री मौजूद छलाह।

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने