ट्रेनक चपेट म' अएला सँ 2 युवक केर मौत, एक गंभीर रुपे घायल

दरभंगा। 13 दिसम्बर। दोनार गुमती स्थित रेल क्रोसिंग पार करबाक क्रम म' हेड फोन कान म' लगाउने दुई युवक केर ट्रेनक चपेट म' अएला सँ मौत भ' गेलन्हि। जाहिमें एक केर मौत मौके पर भ' गेलन्हि आर दोसर केर मौत शहर के डीएमसीएच अस्पताल म' भेलन्हि।

ओतहि तेसर युवक गंभीर रूप सँ घायल बताओल जे रहल अछि। जिनका  डीएमसीएच सँ नीजी अस्पताल रेफर कायल गेल अछि। ट्रेन दुर्घटना म' मृत एक युवक केर नाम मो. सोहेल बताओल जे रहल अछि। 

स्थानीय लोग सभ कहलनि कि दुनु युवक दोनार कुमती लग कान म' हेड फोन लगा मोबाइल म' वीडियो देखैत छला। एतबे मेँ ट्रेन आयल आर दुनु युवक क' बचेबाक चक्कर म' मो. सोहेल केर सेहो मौत भ' गेलन्हि।

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ