फेसबुक पर शराब केँ बोतल संग फोटो पोस्ट करबा पर 4 युवक गिरफ्तार

नालंदा। 05 दिसम्बर। बिहार म' आब सोशल मीडिया पर सेहो शराब केर  बोतल संग फोटो पोस्ट केलहुँ तेँ खैर नहि। एहने एक मामला मुख्यमंत्री नीतीश कुमार केँ गृह जिला नालंदा म' सामना आयल अछि, जता एक युवक क' शराब केर बोतल संग अप्पन फेसबुक स्टेटस अपडेट करब  महंगा पड़लैन्ह। 

पुलिस केँ अनुसार, लहेरी थाना क्षेत्र केँ रहै बला युवक विक्की कैल्ह रविवार देर सांझ अप्पन फेसबुक वॉल पर एक फोटो पोस्ट केलन्हि। जाहिमें शराब केर बोतल के संग अप्पन फोटो केँ नीचा ‘पार्टी ऑल नाइट’ लिखलन्हि। ई पोस्ट ओ अप्पन कैको संगी सभक संग शेयर सेहो केलन्हि।  पुलिस केँ आला अधिकरि सभक नज़री ओहि पोस्ट पर परलैन्ह आर ओ  स्थानीय थाना क' युवक पर कार्रवाई करबाक आदेश देलन्हि। 

नालंदा केँ पुलिस अधीक्षक कुमार आशीष आय सोमवार क' बतेलन्हि कि विक्की क' 4 दोस्तक संग गिरफ्तार कायल गेल अछि। विक्की लग सँ शराब केर ओ बोतल सेहो बरामद कायल गेल अछि, जाहिक तस्वीर पोस्ट कायल गेल छल। आगा ओ बतौलन्हि कि सभक मेडिकल जांच कायल जे रहल अछि। बिहार म' एहितरहक ई पहली घटना अछि, जखन फेसबुक पर शराब केर बोतल संघ फोटो पोस्ट करबा पर किनको गिरफ्तार कायल गेल अछि।

गौरतलब अछि कि बिहार म' अप्रैल मास सँ पूर्ण शराबबंदी लागू अछि। शराबबंदी लेल सख्त कानून केर प्रावधान कायल गेल अछि। शराब क' कुनु भी तरहक बढ़ावा देबा आर ओहिक प्रचार-प्रसार करबा पर सेहो रोक लगाओल गेल अछि।

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ