सहरसा। 05 दिसम्बर। शहर केँ गांधी पथ निवासी स्वतंत्रता सेनानी 90 वर्षीय गजाधर प्रसाद जायसवाल केर निधन कैल्ह रविवार दिन भ' गेलन्हि। हुनकर निधन केर खबैर सुनते हुनकर आवास पर शुभचिंतक सभक तांता लागे लगलैन्ह। ओ अपना पाछा तीन पुत्र एवं एक पुत्री सहित भरल पुरल परिवार छोईड़ गेला। हुनकर छोट पुत्र मनोज जायसवाल कहला कि ओ कैको दिन सँ बीमार रहैत छलाह। अपने क' बता दी गजाधर प्रसाद जायसवाल क' एहि बरख 9 अगस्त क' राष्ट्रपति प्रणव मुखर्जी द्वारा राष्ट्रपति सम्मान सँ सम्मानित कायल गेल छलैन्ह ।
हुनकर निधन पर सांसद पप्पू यादव, विधायक नीरज कुमार बबलू, एमएलसी नूतन सिंह, पूर्व विधायक डॉ. आलोक रंजन, किशोर कुमार मुन्ना, संजीव कुमार झा आदि सभ शोक व्यक्त केलन्हि।
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।