दिल्ली। 05 दिसम्बर। बक्सर सs लोकसभा सांसद अश्विनी चौबे कहला कि मैथिल कोकिल कवि विद्यापति कs प्रतिमा शीघ्र संसद भवन के प्रांगण में स्थापित कैल जैत। एही के लेल संसद में प्रस्ताव पेश करि देल गेल अछि। एही के शीघ्र स्वीकृति भेट जेबाक उम्मीद अछि। श्री चौबे दिल्ली के मावलंकर सभागार में अखिल भारतीय मिथिला संघ के तत्वावधान में आयोजित 49वाँ मिथिला विभूति स्मृति पर्व समारोह में इ जानकारी देला।
श्री चौबे कहला कि एही सप्ताह नियम 377 के तहत ओ सदन में प्रस्ताव रखला। सांसद बिहार सरकार सs मांग कैला कि बिहार विधानसभा प्रांगण में विद्यापति कs प्रतिमा स्थापित करे आर प्रक्रिया शीघ्र शुरू कैल जै। मंच पर उपस्थित बिहार सरकार के मंत्री मदन मोहन झा सs एहिके अगुआई करे के अनुरोध कैला।
श्री चौबे कहला कि विद्यापतिक' केवल साहित्यिक नै बल्कि आध्यात्मिक क्षितिज पर सेहो अद्वितीय योगदान छैन। सांसद कहला कि अंग क्षेत्र में जन्म होबाक' नाते ओ महसूस करैत छैथ कि अंग व मिथिला अलग इकाइ नै अछि, बल्कि भाषिक, सांस्कृतिक साम्यता के आधार पर सेहो एक अछि।
बिहार सरकार के भू-राजस्व मंत्री मदन मोहन झा कहला कि मैथिली भाषा संपूर्ण मिथिलांचल क्षेत्रक' विभिन्न जाति, धर्म व अन्य समूह के एक सूत्र में सदियों सs बांधने अछि।
अध्यक्षता करैत राज्यसभा सांसद प्रभात झा कहला कि विद्यापति अपन जीवटता देखेला आ संघर्ष के बीच अंतरराष्ट्रीय क्षितिज पर स्वयं के स्थापित कैला , वो धूसरित माहौल सs रहला के बादो अट्टालिका के ताकत के चुनौती देबाक साहस राखैत छलाह।
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।