दरभंगा। 24 दिसम्बर। पूर्व शिक्षा मंत्री डॉ. नागेन्द्र झा केर पुण्यतिथि के मौका पर कैल्ह शुक्रवार दिन जिला मे कैको जगह जते पुण्यतिथि कार्यक्रम केर आयोजन कायल गेल, ओतहि शहर के बलभद्रपुर स्थित कांग्रेस कार्यालय मे आयोजित पूण्यतिथि कार्यक्रम के मौक़ा पर स्व. नागेन्द्र झा के पुत्र मंत्री मदन मोहन झा सहित दर्जनों कांग्रेस नेता सभस्व. नागेन्द्र बाबू के फोटो पर माल्यार्पण करि हुनका श्रद्दांजली अरपित केलन्हि।
पुण्यतिथि केर मौका पर जिला कांग्रेस अध्यक्ष सीताराम चौधरी कहला कि स्व. नागेन्द्र झा महान शिक्षाविदे नहि एक महान राजनीतिज्ञ सेहो छलाह। ओ अप्पन ईमानदारी सँ कहियो समझौता नहि कएलन्हि। शिक्षा केर क्षेत्र मे हुनका द्वारा कायल गेल काज जगजाहीर अछि। ओतहि मौका पर उपस्थित डॉ. मदन मोहन झा अप्पम नम आँखि से अप्पन पिता क' श्रद्धांजली दैत कहल कि पिता के देखाओल राह पर मारैत दम तक चलब। ईमानदारी से कहियो समझौता नहि करब।
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।