50 बरखक भेला पप्पू यादव, कार्यकर्ता सभ काटलन्हि केक

सहरसा। 24 दिसम्बर। जन अधिकार पार्टी केर संस्थापक सह सांसद राजेश रंजन उर्फ़ पप्पू यादव केर पचासवां जन्म दिन हर्षोल्लास संग मनाओल गेल। पार्टी के कोषाध्यक्ष अमित बजाज द्वारा आयोजित जन्मदिन कार्यक्रम मे केक काटी सांसद क' दीर्घायु होयबाक कामना कायल गेलन्हि। 

एहि मौका पर गरीब लोगक बीच कंबल बाँटबाक संगे संग बच्चा सभक बिच चॉकलेट सेहो बाँटल गेल। एहि मौका पर जन अधिकार पार्टी  केर जिलाअध्यक्ष अब्दुस सलाम, प्रदेश सचिव महबूब आलम जिबू, जाप प्रवक्ता शैलेंद्र शेखर, युवा अध्यक्ष रंजन यादव, नगर अध्यक्ष समीर पाठक मुखिया इंदल यादव, नरेश निराला, पिंटू परासर, जितेंद्र भगत, राहुल भगत सहित अन्य मौजूद छलाह। 

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने