एनडीए से अलग भ' पछता रहल छैथ नीतीश : केंद्रीय मंत्री गिरिराज सिंह

पटना। 26 दिसम्बर। गिरिराज सिंह कैल्ह रविवार दिन कहलनि कि मुख्यमंत्री नीतीश कुमार बीजेपी के नेतृत्व बला एनडीए से अलग भ' पछता रहल छैथ। नीतीश कुमार अप्पन उठाओल डेग पर पछता रहल छैथ, किएक जे आब ओ असगर छैथ आर लालू प्रसाद के आरजेडी के संग  बिहार सरकार क' चलेबाक लेल बहुत दबाव में छैथ।

केंद्रीय सूक्ष्म, लघु व मध्यम उद्यम राज्यमंत्री गिरिराज सिंह कहल कि, वर्ष 2013 मे बीजेपी हुनका किनार नहि केलन्हि। ओ अप्पन ऊंच महत्वाकांक्षा केर कारण खुद अलग भेला। अपनी राजनीतिक महत्वाकांक्षा क' हकीकत मे बदलबाक लेल राजग छोड़बाक फैसला लेनिहार नीतीश कुमार क' ई महसूस भेलन्हि कि शीर्ष पद लेल कियो रिक्त नहि अछि। किएक जे नरेंद्र मोदी प्रधानमंत्री छैथ आर 2019 के बाद सेहो बनल रहता। आब नीतीश कुमार क' अफसोस भ' रहल छैन्ह। 

आगा ओ कहला कि बिहार के मुख्यमंत्री अप्पन शासन आर विकास के चेहरा पहिने हरा चुकल छैथ। जखन ओ बीजेपी के संग गठबंधन करि बिहार के मुख्यमंत्री छलाह आर तखन के तत्कालीन प्रधानमंत्री अटल बिहारी वाजपेयी केर सरकार मे केंद्रीय मंत्री छलाह तेँ नीतीश कुमार अप्पन शासन आर विकास के लेल जानल जायत छलाह।  आब एहेन किछु नहि अछि।

केंद्रीय मंत्री गिरिराज सिंह नीतीश कुमार के निकट भविष्य मे एनडीए मे वापसी से जुड़ल सवाल क' महत्व नहि देलन्हि। गिरिराज सिंह नवादा जिला से लोकसभा के सदस्य छैथ।

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ