
मुम्बई। 24 दिसम्बर। जारी कायल गेल नबका करंसी नोट केर कमी क' देखैत नासिक के करंसी नोट प्रेस (CNP) मे रोज छापल जाय बला 500 टाका के नबका नोटक संख्या मे तीन गुना बढ़ोतरी कायल गेल अछि। CNP के सूत्र सँ प्राप्त जानकारी के मुताबित 500 टाका के नोटक छपाई मे भारी बढ़ोतरी कायल गेल अछि। जते नवम्बर के मध्य मे 35 लाख नोट रोज छपैत छल, आता आब रोजाना एक करोड़ नोट छापल जे रहल अछि। नासिक मे रोजाना अलग - अलग तरहक एक करोड़ 90 लाख नोट छापल जे रहल अछि जाहिमे एक करोड़ सिर्फ 500 टाका के अछि। आन नोट मे 100, 50 अर 20 टाका के नोट शामिल अछि। अपने के बता दी कि नासिक केर प्रेस म' 2,000 टाका के नबका नोट नहि छपैत अछि।
नोटबंदी के बाद से कैल्ह शुक्रवार दिन CNP सबसे बेसी संख्या मे करंसी भेजना अछि। एहिठाम से RBI क' कुल 4 करोड़ 30 लाख मिलियन नोट भेजल गेल अछि जाहिमे 1 करोड़ 10 लाख नोट सिर्फ 500 टाका के छल जखनकि 1 करोड़ 20 लाख नोट 100 टाका आर एक-एक करोड़ नोट 50 आर 20 टाका के शामिल छल। नोटबंदी के बाद पहिल बेर 11 नवम्बर क' CNP रिजर्व बैंक क' 500 टाका के मात्र 50 लाख नोट भेजना छल। पिछला 43 दिन मे CNP रिजर्व बैंक क' अलग-अलग तरहक कुल 828 मिलियन नोट भेजना अछि। जाहिमे 250 मिलियन नोट केवल 500 टाका के छल। पिछला तीन दिन मे CNP 8 करोड़ 30 लाख नोट छापने अछि जाहिमे 3 करोड़ 75 लाख नोट सिर्फ 500 टाका के अछि।
एहेन अंदाजा लगाओल जे रहल अछि कि 31 जनवरी तक CNP अलग-अलग तरह के 800 मिलियन करंसी नोट छपत। जाहिमे आधा नोट केवल 500 टाका के होयत। गौरतलब अछि कि देश म' नोट छपाई बला मात्रा 4 प्रेस अछि। एहि चारो मे सँ 2 कर्नाटक के मैसूर मे आर बंगाल के सलबोनी मे रिजर्व बैंक केर अछि जखन की 2 नासिक आर देवास केर सिक्यॉरिटी प्रिंटिंग ऐंड मिंटिंग कॉर्पोरेशन ऑफ इंडिया लिमिटेड के अछि। नोटबंदी के बाद से CNP मे रविवार केर छुट्टी नहि होयत अछि। ऐहिक अलावा ऐता आब लंच आर डिनर ब्रेक सेहो नहि होयत अछि। कर्मचारिय सभक काजक पहर के सेहो11 घंटा तक कायल गेल अछि।
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।