बिहार के आठ राजनीतिक दलक मान्यता भेल रद्द

पटना। 24 दिसम्बर। देश मे राजनीतिक दल केर गठन करि काला धन क' सफेद करबाक धंधा वर्षो से चली रहल अछि। केंद्र सरकार केर नजर एहेन  राजनीतिक दल सभ पर अछि जे पार्टी केर रजिस्ट्रेशन करेना अछि मुदा कैको साल से चुनाव मे हिस्सा नहि लेना अछि। चुनाव आयोग के एहेन दल सभ पर गाज गिरल अछि आर बिहार के आठ राजनितिक दलक मान्यता रद्द क' देल गेल अछि। 

चुनाव आयोग बिहार के 8 राजनीतिक पार्टी केर मान्यता रद्द करबाक  फैसला लेलन्हि अछि। बाहुबली नेता आनंद मोहन केर पार्टी बिहार पीपुल्स पार्टी केर मान्यता रद्द क' देल गेल अछि। ऐहिक अलावा भारतीय जन विकास पार्टी, भारतीय प्रजातंत्र पार्टी, चंपारण विकास पार्टी, राष्ट्रीय स्वजन पार्टी आर विजेता पार्टी केर नाम शामिल अछि।

पूरा देश मे 255 राजनीतिक पार्टी एहेन अछि, जाहिक निबंधन जनप्रतिनिधित्व कानून 1951 केर तहत एखन धरी छल मुदा चुनाव आयोग के फैसला के बाद सभ 255 पार्टी केर मान्यता क' रद्द क' देल गेल अछि। रद्द कायल गेल तमाम पार्टी चुनावी प्रक्रिया मे कहियो हिस्सा नहि लेना छल आर काला धन के सफेद करबा में लागल छल।

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने