संयुक्त छात्र संघ केलन्हि कुलपति केर खिलाफ प्रदर्शन
दरभंगा। 13 दिसम्बर। संयुक्त छात्र संगठन दिस सँ आय मंगलवार क' ललित नारायण मिथिला विवि के कुलपति साकेत कुशवाहा पर मनमानी व तानाशाही करबाक आरोप लगाबैत विवि कैंपस म' छात्र संगठन सभ द्वारा आक्रोशपूर्ण विरोध प्रदर्शन कायल गेल। विवि के तमाम छात्र संगठन सभ उक्त विरोध प्रदर्शन म' भाग लेलन्हि।
एहि मौक़ा पर मौजूद छात्र संगठन सभकेँ छात्र सभ कुलपति मुर्दाबाद केर नारा लगेलन्हि, संगहि ललित नारायण मिथिला विवि के कुलपति क' तानाशाह बतौलन्हि। विरोध प्रदर्शन म' जन अधिकार छात्र परिषद के छात्र, आइसा, इनौस सहित दर्जनों छात्र संगठन सभक छात्र मौजूद छलाह।
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।