नवाह यज्ञ : धार्मिक काज पर हावी नोटबंदी

दरभंगा। 22 नवम्बर। शहर केँ माध्वेश्वर परिसर स्थित श्यामा मंदिर म' शनिवार दिन सँ चली रहल श्यामा नामधुन संकीर्तन केर चारिम दिन आय मंगलवार दिन एक दिस जता नवाह यज्ञ म' मिथिलांचल केर कैको जिला सँ भक्त सभ आइब रहल छैथ। भक्त लोकनि भोरे सँ भिन्न भिन्न धुन पर माँ श्यामा केर नामक जयकार लगा रहल छैथ। दोसर दिस नोटबंदी केँ असर श्यामा मंदिर केर साज-सज्जा पर सेहो देखल गेल। हर बरखक भांति अहियो बरख धार्मिक परिसर क' सजाओल गेल मुदा साज-सज्जा केर इंतजाम म' नोटबंदी कारण  कनि उदासीनता देखार द रहल अछि। 

भक्त सुरेश झा कहला कि पछिला कैको बरख सँ ओ नौ दिन धरी चलै बला नवाह यज्ञ देखबाक लेल मधुबनी जिला सँ श्यामा मंदिर आबैत छैथ। मुदा एहि बरख पछिला बरख केर मुकाबला धार्मिक साज – सज्जा म' बहुत उदासी देखार द' रहल अछि। हर बरख मंदिर परिसर म' सभ मंदिर सहित परिसर केँ पोखैर तक साज – सज्जा देखैत बनैत छल। मुदा एहि बरख बहुत उदासी देखार द' रहल अछि। अपने क' बता दी कि विख्यात श्यामा मंदिर म' पूजा – पाठ करबाक लेल मिथिलांचल के कैको जिला सँ भक्तगण आबैत छैथ। 

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ