सुपौल : सभ दिस जामे जाम सँ हाफ़ैत अछि शहर

सुपौल। 22 नवम्बर। नीक सनक प्लान केर अभाव म' अदूरदर्शी नीति केर  कारण उपलब्ध बेहतर सुविधा सेहो लोगक लेल माथक दर्द साबित भ' जायत अछि। किछ एहने स्थिति आय सुपौल जिला मुख्यालय केर बनल अछि। सड़कक जाल सँ घेरल सुपौल जिला एक अदद बाइपास सड़क नहि होयबाक खामियाजा भुगैत रहल अछि।

शहरवासि सभ क' प्रतिदिन जामक समस्या सँ रूबरू होमा परैत छैन्ह।  यातायात सुचारू करबाक लेल शहर म' सेहो एक बाइपास होयबाक चाहि, ऐहिक लेल कुनु पहल देखार नहि द' रहल अछि। यदि शहर क' बाइपास भेट जाय तेँ माथक दर्द साबित होयत यातायात सुलभ भ' जायत आर जाम केर समस्या सँ सेहो निजात भेटत। प्रशासन सड़क पर डिवाइडर लगा जाम पर लगाम लगेबाक प्रयास केलन्हि मुदा इ प्रयास सेहो सफल नहि भेल।

 सड़क केर मामला म' समृद्ध जिलाक सड़क केँ देखु हाल : -  सिल्चर (आसाम) क' पोरबंदर (गुजरात) सँ जोड़े बला ईस्ट-वेस्ट कारीडोर जिला के  प्रतापगंज, सिमराही बाजार,सरायगढ़ होयत दरभंगा दिस जायत अछि। ओतहि एसएच जदिया, त्रिवेणीगंज, पिपरा, सुपौल, किशनपुर होयत सरायगढ़-भपटियाही म' ईस्ट-वेस्ट कारीडोर सँ मिलैत अछि। एनएच 106 बिहपुर-वीरपुर पिपरा, राघोपुर होयत सिमराही बाजार म' ईस्ट-वेस्ट कारीडोर सँ मिलैत अछि। ओतहि सहरसा-सुपौल एसएच सड़क सुपौल म' आइब एसएच 76 म' मिलैत ईस्ट-वेस्ट कारीडोर तक जायत अछि। साधारण गप अछि कि सड़क केर जाल आर ईस्ट-वेस्ट कारीडोर सँ यात्रा के क्रम म' आवाजाही सुपौल जिला म' बहुत बढ़ी गेल अछि। जिला सँ गुजरे बला सभ सड़क पर गाड़ि केर आवाजाही केँ बोझ अछि।

एहि क्रम म'  खासकरी सहरसा, सिंहेश्वर आदि दिस सँ आबै - जाय बला गाड़ी सुपौल जिला मुख्यालय होयत गुजरैत अछि। बाईपास सड़क नहि होयबाक कारण शहर के मुख्य सड़क आवाजाही लेल सहारा बनैत अछि आर नतीजा होयत अछि कि सड़क के कात घर बना क' रहनिहार केर जियब हराम अछि। ऊपर से गति पर त' जेना कुनु नियंत्रण छैहे नहि।लोहियानगर चौक पर रेलवे गुमटी के फाटक गिरल नहि कि दुनु दिस गाड़ी के नमहर लाइन लैग जायत अछि। 

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने