नीतीश परिस्थिति के मुख्यमंत्री नहि बल्कि 34 कांडक मुजरिम : भाजपा सांसद भोला सिंह

बेगूसराय। 22 नवम्बर। बेगूसराय केर भाजपा सांसद भोला सिंह बिहार म' बढ़ैत अपराध क' लेल एक बेर फेर सँ नीतीश कुमार क' आड़े हाथ लेलन्हि।  भोला सिंह कहलनि कि नीतीश कुमार परिस्थिति विशेष केर मुख्यमंत्री नहि बल्कि ओ 34 सँ बेसी कांडक मुजरिम छैथ। जे कियो नीतीश क' परिस्थिति विशेष केर मुख्यमंत्री कहैत छैथ ओ गलत छैथ।

भोला सिंह आरोप लगेलन्हि कि महागठबंधन विकास केँ लेल नहि, जानमाल केर  सुरक्षाक लेल नहि, महिला सभक आबरू केर हिफाजतक लेल नहि बल्कि बिहार म' जंगलराज आनबाक लेल बनल अछि। गोलाबारी म' घायल भेल बेगूसराय के व्यवसायी केर परिजन सँ भेट करे पहुँचल सांसद भोला सिंह कहलनि कि आय बिहार म' जंगलराज लौट गेल अछि एहि कारण सँ बिहार के विभन्न जिला म' अपराधि सभक निशाना पर व्यवसायी अछि। 

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने