मर्माहट खबैर : बैंक सँ पैसा निकालबा म' महिला केर उजड़लैन्ह गोद

कटिहार। 30 नवम्बर। नोटबंदी केँ कारण बैंक आर एटीएम म' उमरल भीड़ एखन धरी 70 सँ बेसी लोगक जान ल' लेना अछि। लेकिन आजुक घटना किनको भी मर्माहट क' देतन्हि।

आय कटिहार म' बैंक सँ पैसा निकालबाक लेल लाइन म' लागल एक महिला केर गोद उजैड़ गेलन्हि। महिला केँ चारि मासक बच्चा के मौत भ' गेलन्हि। मामला बलरामपुर प्रखंड केर अछि। प्राप्त जानकारी केर मुताबिक़ जिला केँ बलरामपुर प्रखंड मुख्यालय म' स्थित यूको बैंक केँ शाखा म' आय बुधवार दिन भोरे सँ पैसा निकालबाक लेल लाइन म' लागल महिला केँ गोदे म' हुनकर चारि मासक बच्चा केर मौत भ' गेलन्हि।

बताओल जे रहल अछि कि ठंड सेहो बहुत छल, जाहि कारण सँ बच्चा केँ स्थिति बिगैर गेलन्हि। ओतहि पैसा निकालबाक लेल लोग सभक नमहर लाइन लागल छल। एहि बीच ओहि बच्चा केर मौत भ' गेलन्हि। जाहि ल'के लोग सभ हंगामा शुरू क' देलन्हि। मौका पर पहुँचल पुलिस आनन - फानन म' घटनास्थल सँ महिला व बच्चा क' हटा देलन्हि। पुलिस लोग सभ क' समझा—बुझा स्थिति सम्हारलैन्हि।

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ