पटना। 01 दिसंबर। बिहार विद्यालय परीक्षा समिति में पदाधिकारिक' नियुक्ति संविदा के आधार पर कैल जैत। एही लेल दू दिन के भीतर विज्ञापन प्रकाशित कैल जैत।
बोर्ड में सहायक, कंप्यूटर ऑपरेटर आर 17 अकाउंट्स क्लर्क के सेहो नियुक्ति कैल जैत। बोर्डक' अध्यक्ष आनंद किशोर कहला कि निविदा के माध्यम सs कंसल्टेंट के सेहो चयन कैल जैत संगैह बीएसईबी के माध्यमिक प्रभाग के विकास काज के लेल साढे 4 करोड़ रूपया के स्वीकृति देल गेल अछि। बोर्ड कs बैठक में बहुत रास महत्वपूर्ण निर्णय लेल गेल। आनंद किशोर कहला कि मैट्रिक आर इंटर के ऑनलाइन मूल्यांकन के दाम में सेहो वृद्धि कैल गेला। सबस पैग निर्णय़ जै लेल गेल कि आबबाला 16 जनवरी सs राज्य के सभ 9 प्रमंडल में परीक्षा भवन के संचालन आर सभ क्षेत्रीय कार्यालय खोलल जैत।
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।